Skip to main content
lakhnaur gaam

|| अपन गाम लखनौर ||

जय बाबा डिहबार!   जय राधा-कृष्ण !!   जय महाकाल !!!

दर्शन

लखनौर गाम धार्मिक , शैक्षणिक स्थान सँ सुशोभित अछि । राधाकृष मंदिर, सोमेस्वर नाथ महादेव तँ अहि क्षेत्र में प्रसिद्ध पावन स्थान मानल जायत अछि । लखनौर गामक आरो किछ जानल मानल स्थान के दर्शन कैल जाऊ ।

परिचय

गामक पूरब में केलनी लक्ष्मीपति, श्री राधाकृष्णक श्री गणेश, गामक दक्षिण में स्थापित छथि, अंकुरी सोमेश्वरनाथ महेश |

अहिगाम में देवी देवताक मंदिरक , अछि नहीं पारावार | गामक पश्चिम में उच्च पर बैसल छथि बाबा डिहबार |

राष्ट्रपति पुरस्कार स पुरस्कृत भेल छथि प० देवानन्द झा विद्वान | प० तुलानन्द झा सेहो पुरस्कृत भेल छथि राष्ट्रपति से सम्प्रति नहीं छथि विद्यमान |

भेल छथि प० रामकान्त झा, ज्योतिषाचार्य, प० विदेश्वर झा भेल छथि महान संगीताचार्य |

प० विदेश्वर ठाकुरक विद्वताक वर्णन करब त होयत थोर | अहि विद्वान सबहक महिमा क गुणगान करब त साँझ से भोर |

गंगापति सिंह लोकपति सिंह ओ डा० विश्वम्भर झा क देखु प्रबल प्रकाश, लखनौरक विभूति विद्वताक आगू झुकी रहल अच्छी आकाश |

एहि रत्न सबहक माला बनाओल , माला बनल अति सुन्दर | प० राधानंदन झाक सुमेर लगाओल, माला लागल मनोहर |

जटेश्वर ठाकुर छलाह मुखिया रहला जीवन पर्यन्त | बसल छलाह ओ जन मानस पर, हुनकर सेवा अनंत |

बिहार विधानसभाक शीर्षस्थ पद पर आसीन भय रखलनि गामक मान | एहेन छलाह हमर राधा बाबू जिनकर कीर्ति अछि महान |

लखनौर क देलनि मिडिल स्कूल, हाई स्कूल, गर्ल स्कूल ओ संस्कृत स्कूल, थाना, प्रखंड, बैंक, हेल्थ सेंटर देलनि मवेशी अस्पताल ओ गर्ल हाई स्कूल |

वाटर सप्लाई ओ बिजली देलनि ओ पाथरक नौलखा | हरिजन छात्रावास ओ पंचायत भवन देलनि ओ राधाकृष्णक मंदिर पंचलखा |

ओहि महान सपूतक ऋणी रहत लखनौर आ लखनौर वासी, ईश्वर स प्रार्थना करैत छी जे ओहने सपूत देथि |

की कहु कतेक लिखू सिँघेश्वरक मंदबुद्धि क नहीं ओतेक ज्ञान, जे लखनौरक विशिष्ठ विद्वानक गुणक, क सकय गुणगान |

मानचित्र

बिहारक मधुबनी जिला में, झंझारपुर सँ लगभग ४ किलोमीटर दूर पूरब दिशा म स्थित एकटा आदर्श गाम ।

मिथिला / मैथिली

मित्र लोकैन हम सब मिथिला मैथिली के विकास के लेल सदैव प्रयासरत छी । अहि करी में हम सब मिथिला मैथिली के विकास के लेल हमर सबहक कैल गेल प्रयास के अपने लोकैन के समक्ष राखब ।

लखनौर: मैथिली लेख प्रतियोगिता - २०१८

👉 मैथिली लेख उपलब्ध अछि, क्लिक करी |

🏆 मैथिली लेख प्रतियोगिता २०१८ - पुरस्कृत प्रतियोगी 🏆


👉 सदस्यगण लखनौर.in प्रायोजित मैथिली लेख प्रतियोगिता २०१८ में कुल २८५ प्रतियोगी भाग लेलैथ | सब प्रतियोगी के हार्दिक सुभकामना | प्रतियोगिता में १६ प्रतियोगी के पुरस्कृत कैल गेल |
👉 नाम केर क्रमांक ओकर श्रेष्ट्ता के द्योतक नै अछि |

१. श्री नरेश कुमार झा (शिक्षक)
२. श्री उदयकांत ठाकुर (शिक्षक)
३. श्री निर्मल कुमार मिश्रा (शिक्षक , माता - श्रीमती किशोरी देवी , पिता - श्री भगवनजी मिश्रा )
४. चि. विजय कुमार सिंह (वर्ग -६ , पिता - श्री रविंद्र सिंह )
५. चि. राजन कुमार झा (वर्ग -७ ,माता - श्रीमती महारानी देवी , पिता - श्री शम्भू झा )
६. चि. मोहित कुमार मिश्रा (वर्ग -७ , माता - श्रीमती पूजा मिश्रा ,पिता -श्री शंकर मिश्रा )
७. चि. स्मिता कुमारी (वर्ग -७, माता - श्रीमती उषा मिश्रा ,पिता - श्री मिहिर मिश्रा )
८. चि. बिशो कुमार मंडल (वर्ग- ९ )
९. चि. शबनम खातून (वर्ग -१०, माता - शाहजहां खातून, पिता - मो. अमजद शाह)
१०. चि. पिंकी कुमारी (वर्ग -१२ ,पिता - श्री गणेश मंडल )
११. चि. सौरव कुमार झा (वर्ग -९ , माता - श्रीमती पूनम झा , पिता - श्री प्रभाष कुमार झा )
१२. चि. अमरजीत कुमार (वर्ग - १० ,माता -श्रीमती रंजू देवी , पिता - श्री फेकन रॉय )
१३. चि. मौसम कुमारी (वर्ग -९ ,माता - श्रीमती पूजा देवी, पिता - श्री सुदर्शन झा )
१४. चि. शिवानी कुमारी (वर्ग -बी. कॉम. ,माता - श्रीमती रिंकू सिंह ,पिता - श्री रंजीत कुमार सिंह )
१५. चि. अंजली कुमारी (वर्ग - ११. ,माता - श्रीमती शकुन झा ,पिता - श्री मेधानंद झा )
१६. चि. शालिनी कुमारी (वर्ग - बी. कॉम. , माता - श्रीमती कल्पना झा ,पिता -श्री दिलीप कुमार झा )

👉 लखनौर.in समस्त ग्रामवासी, शिक्षण संस्थान एवं प्रतिभागी के अभिनन्दन करैत अछि | आशा नहि अपितु पूर्ण विस्वास अइछ लखनौर.in के एहेन प्रयास गाम में सांस्कृतिक चेतना के प्रबल करत | आभार |


🏆मैथिली लेख प्रतियोगिता २०१८ - पुरस्कार वितरण 🏆


👉अपने लोकैन के हर्ष के संग सूचित करि जे मैथिली लेख प्रतियोगिता २०१८ केर पुरस्कार वितरण राजकीय मध्य विद्यालय लखनौर के प्रांगण में सोमवार दिनांक 21 मई 2018 के प्रातः 9:30 बजे सँ कैल जायत ।
👉 लखनौर.in प्रतिभागि संग समस्त ग्रामवासी के अहि सुभ समारोह में आमंत्रित करैत ऐछ । बेसी सँ बेसी संख्यां में आबि प्रतिभागि लोकैन के उत्साहवर्धन करी ।


👉 प्रतियोगिता के आयोजन सम्बंधित सुचना :-


१. बृहस्पतिबार दिनांक १० मई २०१८ तक प्रतियोगी केर सूचि तैयार कैल जायत । सूचि में प्रतिभागि केर निम्न विवरण चाहि:-
🔅प्रतिभागि केर पूरा नाम
🔅 माता पिता बा अभिभावक केर नाम
🔅उम्र
🔅बर्ग (यदि शिक्षारत छी)
🔅अभिभावक केर कांटेक्ट नंबर

२. शुक्रबार दिनांक ११ मई २०१८ के कागज कलम के बितरण सम्बंधित शिक्षण संस्थान ( सरकारी आर प्राइवेट ) एवं प्रतिभागि में कैल जायत ।
३. सोमबार दिनाक १४ मई २०१८ के सम्बंधित शिक्षण संस्थान एवं प्रतिभागि ( जे गाम में नहि छथि बा ब्यक्तिगत रूप सँ भाग लेने छैथ ) सँ लेख कलेक्ट कैल जायत ।
४. सोमवार दिनांक २१ मई २०१८ के चयनित प्रतियोगी के घोषणा एवं पुरस्कार वितरण कैल जायत ।
५. अपन परिवार के बच्चा सब के जरूर प्रतियोगिता में भाग लै के लेल उत्साहित करि आर अपनो भाग ली।

👉ऑनलाइन प्रतिभागि जे गाम में नहि छथि हुनका लेल सुचना :-
१. प्रतिभागि अपन लिखल निबंध कोर टीम मेंबर के फेसबुक मैसेज पर ब्यक्तिगत रूप सँ भेज सकैत छैथ अथबा आहाँ कमेंट करि हमरा सब के सूचित करी, कोर टीम अपने के कांटेक्ट क लेताह । निवेदन जे लेख पब्लिकली पोस्ट / कमेंट नहि करी ।
२. लेख भेजय के अंतिम तारीख १४ मई , सोमबार अछि ।

👉अॉफलाइन भाग लेबै वला प्रतिभागी जे गाम में छथि हुनका लेल सुचना :-
१. कागज कलम के वितरण गामक सब शैक्षणिक संस्थान में होयत ।
२. जे ब्यक्तिगत रूप सँ प्रतियोगिता में भाग लेबा चाहैत छी कोर टीम सँ कागज कलम प्राप्त क सकैत छी ।
✒ विशेष जानकारी कोर टीम सँ ल सकैत छी।


📝 मैथिली लेख प्रतियोगिता - २०१८ 🏆


✒ सदस्यगण बड्ड हर्ष के सँग अपने लोकैन के सूचित कs रहल छी जे 'मिथिला मैथिल मैथिली' केर सर्वांगिक विकास के ध्यान में राखैत मैथिली लेख प्रतियोगिता - २०१८ के आयोजन लखनौर.in के द्वारा कैल जायत ।

✒कोन विषय पर?
- 📝'अपन गाम लखनौर'

✒के सभ भाग लेत ?
- प्रतिभागि के तीन ग्रुप में हुनकर शैक्षणिक कक्षा एवं आयु के आधार पर बाँटल जायत ।
१. वर्ग ७ तक के प्रतिभागि ( कम से कम १०० शब्द ) ।
२. वर्ग ८ सॅ वर्ग १० तक के प्रतिभागि (कम से कम २०० शब्द )।
३. वर्ग ११ एवं ११ सँ ऊपर के प्रतिभागि ( कम से कम २५० शब्द ) ।
प्रतियोगिता में सब भाग लँ सकैत छैथ , प्रतिभागि के शैक्षणिक योग्यता एवं आयु के आधार पर हुनक ग्रुप के चयन कैल जायत ।
जे गाम में नै छथि सेहो प्रतियोगिता में भाग लs सकैत छथि ।

✒प्रतियोगिता कहिया होयत ?
- प्रतियोगिता के आयोजन अहि मास (मई ) में कैल जायत । निश्चित दिनांक जल्द प्रकाशित कैल जायत ।

✒प्रतियोगिता के संचालन कोना होयत ? -
१. गाम के प्रत्येक स्कूल सँ प्रतिभागि के लिस्ट तैयार कैल जायत ।
२. प्रत्येक प्रतिभागि के कागज आर कलम लखनौर.in के तरफ सँ उपलब्ध कैल जायत ।
३. प्रतिभागि के दू दिन के समय देल जयत आर हुनका सँ २ दिन बाद ‘अपन गाम लखनौर’ पर लिखल लेख एकत्रित कैल जायत ।
४. प्रत्येक ग्रुप के प्रथम १० या २० लेख के चयन लखनौर.in के कोर टीम करताह ।
५. चयनित लेख के ग्रुप में पोस्ट कैल जायत आर ग्रुपक सदस्य के रेस्पॉन्स के ध्यान में राखैत प्रत्येक ग्रुप के प्रथम तीन सदस्य (कुल ९) के चयन लखनौर.in के कोर मेंबर करताह ।
६. चयनित प्रतिभागि के पुरष्कृत कैल जायत 🏅आर हुनक नाम लखनौर.in फेसबुक ग्रुप सँग गामक वेबसाइट पर देल जायत।

🏆पुरस्कार ?
- प्रत्येक ग्रुप (३) के प्रथम तीन 🥇🥈🥉प्रतिभागि के पुरस्कृत कैल जायत ।

✒लेख के विषय ‘अपन गाम लखनौर’ केबल मैथिली (देबनागरी लिपि जहि में इ पोस्ट लिखल ऐछ) में लिखल स्वीकार कैल जायत ।

✒प्रतियोगिता पूर्णतः निःशुल्क अछि ।

✒प्रतियोगिता के संचालन, नियम इत्यादि के अधिकार लखनौर.in राखैत अछ ।


लखनौर.in द्वारा आयोजित मिथिला/सामान्य चित्रकला प्रतियोगिता २०१७ मे प्रथम आठ प्रतिभागी क पुरस्कृत केैल गेल।

  • १ प्रियंका कुमारी, पिता - श्री गोपाल झा , वर्ग ८
  • २ कुमारी शोभा, पिता - श्री अनिल राय ,वर्ग ८
  • ३ आयुष कुमार मिश्रा , पिता - श्री उदयकान्त मिश्रा, वर्ग ६
  • ४ आद्या कुमारी, पिता - श्री मथुरानंद मिश्रा ,वर्ग ८
  • ५ अस्मिता कुमारी, पिता - श्री मिहिर मिश्रा , वर्ग ६
  • ६ मयंक कुमार ठाकुर, पिता - श्री भवेश ठाकुर , वर्ग ६
  • ७ प्रिती कुमारी, पिता - श्री पप्पू झा , वर्ग ८
  • ८ ज्योति कुमारी, पिता - श्री युगेस्वर मुखिया , वर्ग यु. के. जी.

प्रतियोगिता म समस्त प्रतिभागी जे प्रथम आठ मे नहि आवि सकलैथ हुनक सब कें सांत्वना पुरस्कार देल गेल। लखनौर.in क तरफ सँ समस्त प्रतिभागी (कुल संख्याँ ९०) क हार्दिक शुभकामना।

विज्ञान मैथिली - ज्ञान विज्ञान सँ जुरल मैथिली यूट्यूब चैनल

विज्ञान सँ जुड़ल इ वीडियो मैथिली में यूट्यूबक एहेन तरहक पहिलुक चैनल, विज्ञान मैथिली पर रिलीज़ कैल गेल । यूट्यूबक विज्ञान मैथिली चैनल के लाइक करी सब्सक्राइब करी जाहि सँ बेसी सँ बेसी मैथिल लोकैन लाभान्वित होइथ ।